16 तब जेसब यि घटनाके देखने रहै, उसब भुत आत्मा लागल लोक आ सुगरसबके कथी भेल छेलै से बात कैहदेल्कै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
जब उसब निकैलके जाइतरहै, तब एकटा भुत लागल बौक लोकके येसु लग आनल्कै।
तब उसब येसु लग एलै आ उसब बहुत भुत लागल लोकके मन निक भ्याके असल असल बस्तर लग्याके बैठल देखल्कै। यि देखके ओइसबके डर भ्यागेलै।
येसु जब नाहमे चरहे लाग्लै तब उ लोक जकरा भुत आत्मा लागल छेलै से ओकरा बिन्ती करल्कै, “आपनसङे हमरो ल्या चलु।”