12 भुत आत्मासब येसुके बिन्ती करल्कै, “हमरौरके सुगरसबके जेर भिरमे पठादिय, हमरौरके ओकर भितरमे ढुकैले दिय।”
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
“पबितर चिज कुतासबके नै दहै, नै त घुइमके तोरे धरतौ आ आपन हिरा-मोती सुगरसबके अगा नै फेक, नै त उसब आपन तरबासे ओइसबके मिसैर देतौ।
ओहै ठाम पहाड़मे सुगरके बरका जेर चरैत रहै।
तब येसु ओइसबके जाइले आग्या देल्कै आ भुत आत्मासब बाहर निकैलके सुगरसबके भितर ढुक्लै, तब दुइ हजार सुगरसबके जेर पहाड़से समुन्दर दिसन हरैक गेलै आ समुन्दरमे डुइबके मैरगेलै।
ताकी सैतान हमरासबके फसाबैके मौका नै पाबे, कथिलेकी ओकर जुक्तीके बिसयमे हमसब अनजान नै चियै।
होसियार रह आ जागल रह, कथिलेकी तोरासबके दुस्मन सैतान ककरा भेटाइबै आ ख्यालेबै कैहके गरजैबला सिंह जखा खोजैत घुमैछै।