38 येसु नाहके पछा कातमे एकटा सिरमा लग्याके बिभोर निनमे सुतल छेलै। तब चेलासब ओकरा उठाइत कहेलाग्लै, “गुरु जी, गुरु जी, हमसब डुबे लागलियै। कि अहाँके चिन्ता नै छै?”
उसब आपन कुछ चेलासब आ हेरोद रजाके दलके कुछ लोकसबके येसुलग एहेन कहैले पठेल्कै, “हे गुरु जी, हमसब जानैचियै कि अहाँ सत चियै आ परमेस्वरके साँचे सत बाट देखाइचियै। लोकसब कथी कहतै तैके कोनो बास्ता नै राखैचियै कथिलेकी अहाँ ककरो पक्छपात नै करैचियै।
चेलासब येसुके लगमे ज्याके ओकरा उठाइत कहल्कै, “परभु, हमरासबके बचाबु! हमसब त डुबे लागलियै!”
तब ओते बरका अन्हर बिहाइर एलै, तालके झोहसब उपर उइठके नाहमे गेलै आ नाह पानीसे भरे लाग्लै।
तब येसु उठलै आ अन्हर बिहाइरके हकारल्कै आ झोहके कहल्कै, “रुइक जो! सान्त हो!” अन्हर बिहाइर रुक्लै तब सब सान्त भेलै।
तब उसब येसुके लगमे आइबके उठाइत कहल्कै, “गुरु जी, गुरु जी, हमसब डुबे लागलियै।” येसु उठके अन्हर-बिहार आ छालके रोकल्कै आ उ रुक्लै आ सब सान्त भेलै।
ओते याकुबके इनार छेलै। येसु चलैत-चलैत थाइकके ओहै इनारके कातमे बैठल छेलै। तै बखत दुपहर भेल छेलै।
ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।
तोरासबके सब चिन्ता-फिकिर ओकरमे राइख दहै कथिलेत उ तोरासबके देखभाल करैछौ।