35 ओहै दिन साँझ परलाके बाद येसु चेलासबके कहल्कै, “ले आब अपनासब तालके ओइपार चल।”
तकरबाद येसु आपन चेलासबके तुरन्त नाहमे चहैरके अपना जाइसे पहिने तालके दोसर कात चैलजाइले आग्या करल्कै आ उ अपना ओतै रैहके लोकसबके भिरके बिदाह करे लाग्लै।
जब येसु आपन चारुदिसन लोकसबके बरका भिर देखल्कै तब आपन चेलासबके कहल्कै, “अपनासब ताल ओइपार चल।”
जब येसु फेनो समुन्दरके दोसरकात गेलै, तब लोकसबके एकटा बरका भिर जमा भेलै। तै बखत येसु समुन्दरके कातमे ठार रहै।
तब येसु तुरन्ते आपन चेलासबके नाहमे चहैरके ओइपार बेथसेदामे अपना जाइसे पहिने जाइले लगाइल्कै। महज उ लोकसबके भिरके बिदा करैले ओतै रैहगेलै।
तब ओकरासबके छोइरके उ फेनो नाहमे चहैरके ओइपार गेलै।
एक दिन येसु आपन चेलासबसङे नाहमे चहरलै आ येसु ओकरासबके कहल्कै, “नाह झिलके ओइपार ल्याचल।” तब उसब नाहमे चहैरके गेलै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके बिस्बास कते गेलौ?” तब चेलासब डेरागेलै आ छक परलै तब आपनेमे कहेलाग्लै, “यि के चियै! यि अन्हर-बिहार आ झोहके आग्या करैछै त माइन जाइछै।”
तकरबाद येसु गालिल तालके ओइपार गेलै। ओकरा तिबेरियस ताल सेहो कहैछेलै।
उसब नाहमे चहैरके तालके ओइपार कफरनहुम सहर दिसन जाइले लाग्लै। ओइ बखत अन्हार भेल छेलै, तैयो येसु ओइसबलग नै एल रहै।
लोकसब तालके ओइ कात येसुके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ अते कहिया एलियै?”