12 ताकि उसब ताकैले त ताकैछै, महज नै देखैछै, सुनैले त सुनैछै, महज नै बुझैछै, नै त उसब पस्चाताव करतियै आ ओइसबके पाप छमा हेतियै।”
तोरासबसङे आँख छौ तैयो नै देखैचिही? कान छौ तैयो नै सुनैचिही? कि तोरासबके याद नै छौ?
येसु कहल्कै, “तोरासबके परमेस्वरके राजके भितरी भेद जानैबाला ग्यान देनेछौ। औरो लोकसबसङे हम खिसासे बाजैचियौ कि, उसब ताकैले त ताकैछै महज नै देखैछै आ सुनैले त सुनैछै महज नै बुझैछै।”
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
उ आपन बिरोधीसबके लरम भ्याके सुधारैबला हैकेचाही। भ्यासकैछै परमेस्वर बिरोधीसबके मन बदैल देतै आ उसब सतके चिन्हे सक्तै।
लोक भ्याके परमेस्वरके छोइरके जाइबलासबके पस्चाताप करैले लग्याके परमेस्वर दिसन घुमाइले नै सक्तै, कथिलेकी एहैन लोक परमेस्वरके बेटाके फेनसे कुरूसमे टाङतै आ सबके अगा खुलम-खुल्ला ओकरा अपमान करतै।