1 येसु फेनो गालिल तालके कातमे सिक्छा देबे लाग्लै। ओकर चारुकात लोकसबके भिर अतहेक बेसी छेलै कि उ तालमे भेल एकटा नाहमे चहैरके ओइमे बैठलै। ओते लोकसब तालके कातमे बैठल रहै।
येसु फेनो गालिल तालके पखामे गेलै। तब बहौत लोकसबके भिर ओकरलग एलै आ उसबके सिक्छा दैले लाग्लै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबसङे ताल दिसन गेलै आ गालिलसे लोकसबके बरका भिर ओकर पछा लाग्लै।
लोकसबके भिर नै किचे कैहके उ आपन चेलासबके आपन खातिर एकटा नाह तैयार करैले लगाइल्कै।
तब चेलासब भिरके छोइरके येसु जै नाहमे बैठल रहै, तहै नाहमे बैठके ओकरो आपनसङे ल्याके गेलै आ औरो नाहसब ओकरसङे छेलै।
येसु नाहसे बाहर निकैलते मातर एकटा भुत-आत्मा लागल लोक चिहान भेल ठामसे निकैलके ओकरा भेटलै एलै।
जब येसु फेनो समुन्दरके दोसरकात गेलै, तब लोकसबके एकटा बरका भिर जमा भेलै। तै बखत येसु समुन्दरके कातमे ठार रहै।