27 कोइ नै बौकार लोकके घरमे ढुइकके ओकर घरके धन-सम्पती नै लुटे सक्तै जाबेतक ओइ बौकार लोकके पैहने बान्हतै, तब न उ ओकर घर लुटे सक्तै।
जाबेतक पहिने बौकार लोकके नै बान्हतै ताबेतक कि ओकर घरके धन-सम्पती लुटे सक्तै? पहिने ओइ बौकार लोकके बान्हतै तब मातरे ओकर घरके धन-सम्पती लुटे सक्तै।
आब अइ सन्सारके नियाय हैबला समय चैल एलछै। अइ सन्सारके सासक बाहर निकालल जेतै।
सान्ती दैबला परमेस्वर जल्दिए सैतानके तोरासबके टाङके तरमे मिसरेतौ। अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
उ आत्मिक दुस्ट सक्तिसबके आ अधिकार सबके नस्ट करल्कै आ खिरिस्टके कुरूस दुवारा ओकरासबके हरेल्कै। उ ओइसबके खुलम खुल्ला तमासा बन्यादेल्कै।
कथिलेत उ बेटा-बेटीसब लहु आ मासुके देह भेलासे येसु सेहो ओकरेसब जखा भ्याके एलै। उ आपनेसे मिरतु भोइगके मिरतुके सक्ती भेल सैतानके नास करल्कै।
फेनो-फेनो पाप करैबलासब सैतानके लोक चियै। कथिलेत सैतान सुरुवेसे पाप करैत एलछै। अहै खातिर सैतानके काम नास करैले परमेस्वरके बेटा परगट भेलछै।
हमर धियापुतासब, तुसब परमेस्वरके चिही आ तुसब झुठा अगमबक्तासबके जितनेचिही कथिलेत तोरासबमे रहल पबितर आत्मा सन्सारमे भेल आत्मासे सक्तिसाली छै।