15 आ उसबके भुतो आत्मासब निकालैके अधिकार देल्कै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तब ओकरे जरे रहैले आ परचार करैके लेल पठाबैले उ बारह गोरेके छानल्कै आ ओइसबके “परेरित” नाम देल्कै।
उ बारहटा परेरितसब एह्या चियै: सिमोन, जकर नाम पतरुस राखल्कै,