2 हप्ताके पहिन्का दिन बिहान सबेरे उसब सुरुज उगैत मातर येसुके राखलहा चिहानमे गेलै।
बिसराम दिनके बिहान अरथात हप्ताके पहिन्का दिन, एकदम भिनसरमे मरियम मग्दलिनी आ दोसर मरियम चिहान देखैले गेलै।
पबितर बिसरामके दिन बितलाके बाद मरियम मग्दलिनी, याकुबके माँ मरियम आ सलोमी येसुके लहासमे लगाबैले गमकौवा तेल आ अतर किनल्कै।
तब उसब रस्तामे जाइबखत आपसमे कहैछेलै, “चिहानके मुहमे राखलहा पथलके के हटादेतौ?”
बिहान सबेरे जनिजाइतसब गमकौवा अतर ल्याके येसुके चिहानमे गेलै। तै दिन हप्ताके रैबदिन छेलै।
रैबदिन मरियम मग्दलिनी भोरे चिहानमे एलै आ उ चिहानके मुहमे राखल पथल हट्याल देखल्कै।