6 तब हरेक बरिस निस्तार पाबैनके अबसरमे पिलातस लोकसबके माङ अनुसार एकटा कैदीके छोरै छेलै।
“तोरासबके थाहे छौ कि आइके दुइ दिन बाद निस्तार पाबैन छै। ओहै समयमे हम मानबके बेटा कुरूसमे टाङैके लेल पकराएल जेबै।”
महज उसब कहल्कै, “पाबैनके बखत यि काम करनाइ उचित नै छै, नै त लोकसबमे बारका हुलदङा मैच जेतै।”
ओइ बखत हतिया करैबला बिदरोहीसब जहलमे छेलै। ओइमेसे बारब्बा नामके लोको ओते छेलै।
महज पतरुस देहरीके केबारे लग ठार भेलै। तब उ दोसर चेला, जे परधान पुजारीके चिन्हैछेलै, उ बाहर निकैलके केबारमे पहरा करैबाली छौरीसङे बात कैरके पतरुसके भितर आनल्कै।
तब पिलातस येसुके कुरूसमे लटकाइले ओइसबके हाथमे सोइप देल्कै। ओहैसे सिपाहीसब येसुके ल्याके गेलै।
दुइ बरिसके बाद फेलिक्सके ठाममे परकियस फेस्तस बडा-हाकिम भेलै। तब उ यहुदीसबके खुसी राखैले पावलके जहलेमे बन्द कैरके गेलै।
महज फेस्तस यहुदीसबके खुसी करैके लेल पावलके पुछल्कै, “कि तु यरुसलेम ज्याके ओतै हमर अगा यि बातके बारेमे हम तोहर फैसला कैरदेबौ से चाहैचिही?”