47 मरियम मग्दलिनी आ योसेसके माँ मरियम येसुके लहास कनङके राखैछै से देखैछेलै।
ओइसबमेसे मरियम मग्दलिनी, याकुब आ योसेफके माँ मरियम आ जब्दियाके बेटासबके माँ छेलै।
मरियम मग्दलिनी आ दोसरो मरियम सेहो चिहानके सामने बैठल छेलै।
बिसराम दिनके बिहान अरथात हप्ताके पहिन्का दिन, एकदम भिनसरमे मरियम मग्दलिनी आ दोसर मरियम चिहान देखैले गेलै।
जनिजाइतोसब दुरेसे ठार भ्याके देखरहल छेलै। ओइसबमेसे मरियम मग्दलिनी, छोट याकुब आ योसेसके माँ मरियम आ सलोमी सेहो छेलै।
तब योसेफ छनगर सुतिके बस्तर किनके आनल्कै आ येसुके लहास कुरूससे निचा उताइरके ओइसे लपेटल्कै। तकरबाद चटानमे खाइध खुइनके बनाएल चिहानमे राखल्कै। ओइ चिहानके मुह बरका पथलसे झाइप देल्कै।
पबितर बिसरामके दिन बितलाके बाद मरियम मग्दलिनी, याकुबके माँ मरियम आ सलोमी येसुके लहासमे लगाबैले गमकौवा तेल आ अतर किनल्कै।
गालिलसे येसुसङे एल्हा जनिजाइतसब योसेफके पछा-पछा गेलै आ ओइ सरामे ओकर लहास कनङके राख्लछै सोहो देखल्कै।