34 तब येसु तिन बजे दिसन जोरसे अबाज निकाइलके कहल्कै, “इलोइ, इलोइ, लामा सबखथनी” जकर मतलब “हे हमर परमेस्वर, हे हमर परमेस्वर, अहाँ हमरा कथिले छोइर देलियै?”
दिनके बारह बजेसे तिन बजे तक पुरे देस अन्हारे रहलै।
तिन बजे दिसन येसु जोरसे चिच्याके बाज्लै, “इलोइ, इलोइ, लामा सबखथनी।” जकर अरथ यि चियै कि, “हे हमर परमेस्वर, हे हमर परमेस्वर, अहाँ हमरा कथिले त्यागलियै?”
जखुन येसुके कुरूसमे लटकाइछेलै तखैन बिहानके न बाजलछेलै।
येसुके यि अबाज सुइनके लगमे ठारभेल लोकसब कहल्कै, “सुन, उ एलियाके बोलारहलछौ।”
तै बखत ठिक-ठिक्या दिन बार बजेके समय छेलै, महज तिन बजे तक देस भैरमे अन्हारे रहलै।
तब येसु जोर-जोरसे कहल्कै, “हे पिता, हम आपन आत्मा अहाँके हाथमे सोपै चियै!” अतेक कैहके ओकर परान छुइट गेलै।
एक दिन करनेलियस दिनके तिन बजे परमेस्वरके एकटा स्वरगदुतके दरसनमे अस्पस्ट रुपसे देखल्कै। स्वरगदुत आइबके करनेलियसके कहल्कै, “ऐ करनेलियस।”
येसु अइ सन्सारमे रहैतकाल मिरतुसे बचाबेबला परमेस्वरसङे जोरसे कानैत बिन्ती आ परथना करल्कै। ओकर नमरता आ भक्तीके कारन ओकर परथना परमेस्वर सुनल्कै।