24 तब उसब येसुके हाथ-टाङमे काँटी ठोइकके कुरूसमे लटकेल्कै आ सिपाहीसब येसुके बस्तर ककर ककर भागमे परतै कैहके चिठा लगाके बाटल्कै।
तब येसु कहल्कै, “हे पिता, अकरासबके छमा कैरदियौ, कथिलेत यीसब कथी करैछै से नै जानैछै।” तब उसब येसुके बस्तर लैले चिठा लग्याके भाग लगाइल्कै।
परमेस्वरके आपन निस्चित योजना आ ग्यान अनुसार पकरल गेलै। एह्या येसुके अधरमी लोकसबके हाथसे तुसब कुरूसमे किल्ला ठोइकके मारलिही।
हमरासबके पितापुरखाके परमेस्वर येसुके मरलसे जियाइल्कै, जकरा तुसब कुरूसमे लटकाके मारने छेल्ही।
येसु खिरिस्टमे पाप नै छेलै, तैयो परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टमे धरमी ठहराबैके लेल अपनासबके पाप खिरिस्टमे राइखदेल्कै।
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
हमसब पापके लेल मैरके धारमिकताके लेल जियैले सकि कैहके खिरिस्ट अपनासबके पापसबके खातिर आपन देहमे पाप बोइकके कुरूसमे मरलै। ओकर चोटसबसे तुसब निक भेलचिही।