20 उसब येसुके घिस्येलाके बाद ओकर बस्तर खोइलदेल्कै आ पहिन्का बस्तर पिन्हादेल्कै। तकरबाद येसुके कुरूसमे लटकाइले बाहर ल्यागेलै।
उसब अनङके गिल्ला करलाके बाद ओकर देहसे बैजनी रङके बस्तर निकाइलदेल्कै। तकरबाद ओकर आपने बस्तर पिन्हाके ओकरा कुरूसमे लटकाइले ल्यागेलै।
आ उसब बेर-बेर नरकटके छरीसे ओकर मुरीमे मारल्कै, थुकल्कै आ ठेङहुनिया दैत गोरलगी करल्कै।
जब सिपाहीसब येसुके रस्तामे लजाइछेलै तब उसब गामसे आइबरहल कुरेनी निबासी सिमोन नामके लोकसे भेट भेलै, जे अलेक्जेन्डर आ रुफसके बाबु छेलै। सिपाहीसब जबरजस्ती ओकरा पकैरके येसुके कुरूस बोकैले लगाइल्कै।
तब पिलातस येसुके कुरूसमे लटकाइले ओइसबके हाथमे सोइप देल्कै। ओहैसे सिपाहीसब येसुके ल्याके गेलै।