11 येसुके बदलामे बारब्बाके छोइरदियौ कैहके मुल पुजारीसब भिरके लोकसबके उसकेल्कै।
महज अते मुख पुजारीसब आ अगुवासब बारब्बाके छोइर दैले आ येसुके मारैले माङ करिहे कैहके लोकसबके सिखाइने छेलै।
कथिलेत मुल पुजारीसबके रिसके कारन येसुके हमरलग आन्नेछै से बात उ बुझने रहै।
पिलातस उसबके फेनो कहल्कै, “जकरा तुसब ‘यहुदीसबके रजा’ कहैचिही, तकरा हम कथी करबौ?”
महज उसब जोरसे किलोल करैत एहेन कहल्कै, “एकरा नै! बारब्बाके छोइरदियौ।” (बारब्बा करान्तिकारी छेलै।)
जे पबितर आ धरमी छेलै तकरा त अहाँसब इन्कार करलियै। महज जे आदमी खुनी छेलै ओकरा अहाँसब छोरैके माङ करलियै।