70 महज पतरुस फेनो इन्कार करल्कै। कुछ देरके बाद ओते ठारभेल लोकसब पतरुसके कहल्कै, “साँचोके तुहु ओइसबमेसे एक गोरे चिही, कथिलेत तु गालिल परदेसके लोक चिही।”
महज पतरुस एहेन कैहके इन्कार करल्कै, “नै गे, तु कथी कहैचिही हम त कुछो नै जानैचियै नै बुझैचियौ।” जब उ अङनासे बाहर जाइबला केबार दिसन गेलै आ तखुन्ते मुरगा डाँक देल्कै।
तब उ नोकरनी पतरुसके फेनो देखके आसपासमे भेल लोकसबके कहल्कै, “यि लोक त येसुके चेलासबमेसे एक गोरा चियै।”
महज पतरुस किरिया खाइत कहल्कै, “जे लोकके बारेमे अहाँसब हमरा कहैचियै, उ लोकके हम नै चिन्हैचियै!”
उसब आस्चरजमे परलै आ अचम माइनके कहेलाग्लै, “कि यि बोलैबलासब गालिलीसब नै चियै त?