31 महज पतरुस औरो जोरसे कहल्कै, “यदी हमरा अहाँसङे मरहु परतै त हम अहाँके इन्कार नै करब।” तब औरो चेलासब एह्या बात कहल्कै।
महज जे हमरा लोकसबके सामने इन्कार करतै, हम्हु ओकरा स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने इन्कार करबै।
उसब जबाब देल्कै, “हँ हमरौरके सक्बै।” ओइसबके येसु कहल्कै, “जे दुखके बाटी हम पियैचियौ उ तुसब पिब्ही आ जे बप्तिस्मा हम लेनेचियौ उ बप्तिस्मा तुहेसब लेब्ही।
तब येसु पतरुसके कहल्कै, “साँचोके, हम तोरा कहैचियौ, आइ रात मुरगा दुइबेर डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर नै चिन्हैचियै कैहके इन्कार करबिही।”
तकरबाद उसब गेतसमनी नामके ठाममे गेलै आ उ आपन चेलासबके कहल्कै, “जाबेतक हम परथना करबौ ताबे तक तुसब अतै रह।”
महज तैयो उसब हल्ला कैरते रहलै अकरा कुरूसमे टाङैये परतै से बात कैहते रहलै। तकरबाद ओइसबके माङके सुनबाइ भेलै।
महज पतरुस कहल्कै, “परभु, हम अखुन कथिले पछा आबैले नै सक्बै? हम त अहाँके लेल जानो द्यादेबै।”