24 उ ओइसबके कहल्कै, “यि परमेस्वर आ लोकके बिचके समबन्ध अस्थापित करैबला हमर लबका करारके लहु चियौ, जे बहुत लोकके लेल बहाएल जेतै।
कथिलेत मानबके बेटा सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकके छुटकाराके दामके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
तब बाटी हाथमे लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद द्याके ओइसबके देल्कै, उ सब गोरे ओहैसे पियल्कै।
साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक परमेस्वरके राजमे हम नै एबै ताबे तक लबका अङगुरके मध नै पिबौ।”
ऐहनङे ख्यालेलाके बाद उ बाटी लेल्कै आ कहल्कै, “यि बाटी तोरौरके खातिर हमर लहुसे बान्हल लबका करार चियौ। यि लहु तोरेऔरके खातिर बह्याल गेल छौ।
येसु उसबके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तुसब मानबके बेटाके देह नै खेबही आ ओकर लहु नै पिब्ही त, तोरासबमे अनन्त जिबन नै रहतौ।
जब हमसब परभु-भोजके बाटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै, कि उ बाटीसे पियैचियै त हमसब खिरिस्टके लहुमे सहभागी नै भेलियै से? आ उ रोटी, जकरा हमसब तोइरके खेलियै, कि खिरिस्टके देहमे सहभागी नै भेलियै से?
तहिनङे रोटी खेलाके बाद बाटी लेल्कै आ कहल्कै, “परमेस्वर आ लोकके बिचमे समबन्ध अस्थपना करैबला यि हमर लहु चियौ। जहिया-जहिया तुसब यि पिब्ही, तहिया-तहिया हमर सम्झनामे एहेन कैरते रह।”