22 जब उसब भोज खाइत रहै तहै बखत येसु रोटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद दैत तोइरके ओइसबके देल्कै आ कहल्कै, “ले, यि हमर देह चियौ।”
तकरबाद ओइ लोकसबके घासमे बैठ कैहके आग्या देल्कै आ उ रोटी आ माछ ल्याके स्वरग दिसन ताइकके परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै, तकरबाद रोटी खाइरके चेलासबके देल्कै आ चेलासब ओइ लोकसबके परैस देल्कै।
तब येसु बच्चासबके कोरामे ल्याके ओइसबके उपर आपन हाथ राइखके आसिरबाद देल्कै।
कथिलेत मानबके बेटाके बारेमे धरमसास्तरमे लिखल जखा हेतौ, महज धिक्कार ओइ लोकके जकरसे मानबके बेटाके धोखा हेतै! उ लोक जलम नै लेने रहतियै त निक हेतियै।”
तब बाटी हाथमे लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद द्याके ओइसबके देल्कै, उ सब गोरे ओहैसे पियल्कै।
उ ओइसबके कहल्कै, “यि परमेस्वर आ लोकके बिचके समबन्ध अस्थापित करैबला हमर लबका करारके लहु चियौ, जे बहुत लोकके लेल बहाएल जेतै।
तब येसु पाँच रोटी आ दुइ माछ लके स्वरगदिसन ताकैत परमेस्वरसे आसिरबाद माङल्कै आ रोटीके टुकरा टुकरा करल्कै। लोकसबके बाइट दहै कैहके चेलासबके देल्कै। तहिनङे माछोसब बाइट देल्कै।
तकरबाद येसु बाटी लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद चरहाके कहल्कै, “यि ले आ तोरौरके सबकोइ आपनमे बाइटके पि।
जब येसु ओइसबसङे खाइले बैठलै तब उ रोटी ल्याके आसिरबाद देल्कै आ तोइरके ओइसबके देल्कै।
तब तिबेरियास सहरसे औरो नाहसब ओइ ठामलग एलै, जते येसु परमेस्वरके धन्यबाद द्याके लोकसबके रोटी खियाइने छेलै।
आ सबकोइ एके आत्मिक पानी पिल्कै, कथिलेत उसब सङे-सङे यातरा करैबला आत्मिक चटानसे निकलल पानी पिल्कै आ उ चटान खिरिस्ट छेलै।
हागार जे अरब देसके सिनै पहारके बुझल जाइछै तकर तुलना अखुन्का यरुसलेमसे करल जाइछै, कथिलेत उ आ ओकर सब बेटा-बेटीसब बेबस्थाके अधिनमे छै।