कथिलेत साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, जबतक स्वरग आ पिरथिबी खतम नै हेतै तबतक बेबस्थामे लिखल बात बिना पुरा भेने छोटसे छोट बुन्का ओकर एकोटा आछर तक नै बुताइतौ।
तब येसु चेलासबके एहो कहल्कै, “साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, अइ ठाम ठार भेल्हामेसे कोनो-कोनो लोकसब परमेस्वरके राजके सक्ती सङे आबैत नै देखतै ताबे तक नै मरतै।”
हम तोरा साँचेके कहैचियौ, जब तु जबान छेल्ही तब तु आपन गम्छा आपनेसे कसै छेल्ही, जते मन लागैछेलौ ओते जाइ छेल्ही। महज जब तु बुढ हेब्ही तब तु आपन हाथ पसारबिही आ दोसरकोइ तोहर डारमे गम्छा बाइन्हदेतौ आ तोरा जते जाइले मन नै लाग्तौ ओते ल्याजेतौ।
साँचोके हम तोरा कहैचियौ, जे बात हमसब जानैचियै, ओह्या बात हमसब कहैचियै आ जे बात देखने चियै ओहैके गबाही दैचियै, महज तैयो तुसब हमरासबके गबाहीके सुइकार नै करैचिही।
यि बात सुइनके येसु ओइसबके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, मोसा तोरासबके स्वरगके रोटी नै देनेछौ, महज हमर पिता तोरासबके स्वरगके साँचोके रोटी देतौ।