11 यहुदाके बात सुइनके मुलपुजारीसब बहौत खुसी भेलै आ पैसा दैले कबुल करल्कै। तखनिएसे येसुके पकराइले मौका ताके लाग्लै।
तकरबाद बारहगोरे चेलामेसे एकटा यहुदा इस्कोरियोत कहाइबला मुख पुजारीसब लग गेलै
आ कहल्कै, “अदी हम येसुके अहाँसबके हाथमे पकरादेबै त अहाँसब हमरा कथी देबै?” ओहै बातमे उसब ओकरा चानीके तिस डलर देल्कै।
तब बारह चेलासबमेसे यहुदा इस्करियोती येसुके मुख पुजारीसबके हाथमे पकराबैके खातिर ओकरेसब लग गेलै।
अखमिरी रोटी पाबैनके पहिन्का दिनमे जब उसब निस्तार पाबैनमे भेंराके बैलभोग चरहाइछेलै, तब चेलासब ओकरा पुछल्कै, “अहाँके इक्छा कथी छै? हमसब कते ज्याके अहाँके खातिर निस्तार पाबैनके भोज तैयार करबै?”
तहै बखत बारहो चेलामे एकटा इस्करयोती कहाइबला यहुदाके मनमे सैतान ढुकलै।
कथिलेकी सब परकारके खराबी के जैर रुपैया-पैसाके मोह चियै। कतहेक गोरा अकर पछा लाइगके बिस्बाससे पछा हैट गेलछै आ उसब आपन उपर दुख कस्ट लाबने छै।
ओइसबके खातिर यि कतहेक डर हैबला बात चियै। उसब कयिनके देख्याल रस्ता चल्लै। पैसाके खातिर बलामके करलहा अधलाह कामके रस्ता गेलै तब उसब कोरह जखा बिरोध करल्कै आ उसब ओकरे जखा नास हेतै।