9 “आपन बारेमे तुसब होसियार रह! कथिलेत उसब तोरासबके अड्डा खनामे लजेतौ, यहुदी सभाघरसबमे लज्याके पिटतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके सासकसब आ रजासबके अगामे हमर गबाही दैले खरा हेब्ही।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
“देख, यि बात तु ककरो नै कहिहे, महज ज्याके पुजारीके देखा तब मोसाके नियम अनुसार लोकसबके निक भेल परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”
येसु उसबके कहल्कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकावे!
जाती-जातीके बिचमे लराइ हेतौ आ राजके बिरोधमे राज खरा हेतौ। जते-तते भुमकौनसब आ भुखमरीसब हेतौ। यि त अन्तके दिनके सुरुवात मातरे चियै।
यदी कोनो ठाममे मान-दान नै हेतौ आ लोकसब तोरौरके बचन सुनैले इन्कार करतौ त ओइ ठामसे निकलैत खिना ओकरासबके बिरोधमे गबाहीके खातिर आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये।”
महज जतेका लोकसब तोरासबके मान-दान नै करतौ तब ओइ सहरसे निक्लैतकाल तुसब आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये। यि ओकरासबके बिरोधके साक्छी हेतै।”
हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
उ हमरासबके लग आइबके पावलके डारमे बान्हल गम्छा ल्याके आपन हाथ आ टाङ बान्हके कहल्कै, “पबितर आत्मा अनङ कहैछै, जकर यि गम्छा चियै, तकरा अहिना यरुसलेममे यहुदीसब बान्हतै आ आनजातके हाथमे सोइप देतै।”
स्तिफनसके बात सुइनके महासभामे बैठल लोकसब तामससे ओकरमे दाँत किरकिराबे लाग्लै।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
कथिलेकी खिरिस्टके लेल तोरासबके यि देलगेलछौ, कि तुसब ओकरमे बिस्बास मातरे कैरके नै महज ओकर खातिर दुख सेहो भोगैले परतौ।
परमेस्वरके धारमिक इन्साफके परमान यह्या चियै कि तुसब परमेस्वरके राजमे जाइके योग्य बन। तुसब ओहै राजके खातिर दुख सहैचिही।
तहै खातिर तुसब होसियार रह, जै बातके लेल तुसब मेहनत कैररहल चिही, तैके नै हरा बल्की तुसब पुरा इनाम पाबैबला भ्याजो।
हम युहन्ना, खिरिस्टमे तोरासबके भैया चियौ। येसुमे बिस्बास करलाके कारन हम तोरासबसङे धिरज होके सहने चियै, जे दुख ओकर राजमे हैबलासबमे सेहो आबैछै। परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके करल सतके बारेमे परचार करलाके कारन हमरा पत्मोस टपुमे कैद कैरके राखने छेलै।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’
हमरा थाहछै, तुसब सैतानके सिंहासन भेल ठाममे रहैचिही, तैयो तुसब हमर नाममे अस्थिर रहैचिही। तुसब हमर भक्त चिही आ हमरा बिस्बास करैले नै छोरनेचिही से हमरा थाहछै। हमर बिस्बासी साक्छी एन्टिपास सैतान रहैबला ठाममे मारलगेलै, ओहु समयमे बिस्बास करैले नै छोरलिही।