7 जब तुसब लराइ-झगरासबके हल्ला सुनबिही तब ओइ बखत नै डेरा। कथिलेत पहिने यि घटनासब हेबैये परतै महज अन्त तखुन्ते नै हेतौ।
“पापमे फसाइबला सन्सारके लोकसबके धिक्कार! सन्सारमे पाप करैबला जाँचसब त अबस्य आबैछै, महज धिक्कार उ लोकके, जकरसे पाप करैबला परिक्छा आबैछै!
जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै।
बहुत लोकसब हमर नाममे ‘हम्ही खिरिस्ट चियौ’, कहैत एतौ आ बहुत लोकसबके बहकेतौ।
जाती-जातीके बिचमे लराइ हेतौ आ राजके बिरोधमे राज खरा हेतौ। जते-तते भुमकौनसब आ भुखमरीसब हेतौ। यि त अन्तके दिनके सुरुवात मातरे चियै।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
उ धरम सास्तरसे परमान द्याके ओइसबके अनङके अरथ खोइलके बुझहेल्कै, “मुक्ती दैबला परभु येसु खिरिस्टके दुख भोइगके मरे परतियै आ मरके जि उठे परतियै, तब अकरे सुसमाचार हम तोरौरके सुनाइचियौ, जे मुक्तीदैबला खिरिस्ट चियै।”