21 ओइ बखत कोनो लोक तोरासबके कहतौ, ‘देख, खिरिस्ट एते छौ’ या ‘ओते छौ!’ महज उ बातमे बिस्बास नै कर।
बहुतो लोकसब हमर नाममे एतौ आ कहतौ कि, ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ आ बहुतोके बहकेतौ।
यदी परमेस्वर उ बिपतके दिन कम नै करने रहतियै त लोकसब कोइ नै जिबित रहतियै, महज परमेस्वर आपन छानल लोकसबके खातिर यि दिन कम करने छै।
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकाके लजेतौ।
येसु कहल्कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकाबे। ‘समय नजदिक चैल एलछै’ आ हमर नाममे बहुत लोकसब ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ कहतौ, महज ओकरौरके पछा तुसब नै जैहे।
हम आपन पिताके नाममे एलचियौ, महज तुसब हमरा सुइकार नै करैचिही। यदि कोइ आपने नाममे आबैछौ त, तुसब ओकरा सुइकार करैचिही।