येसु फेनो उसबके कहल्कै, “एकटा दोसरो खिसा सुन। एकटा जमिन्दार लोक छेलै। उ लोक अङगुरके खेती करल्कै आ चारुकातसे ओकरा घेरल्कै। अङगुरके रस जम्मा करैके लेल एकटा खाइध खुइनके कोल्हु बनाइल्कै आ ओहैमे रखबारी करैके लेल एकटा मचानो बनाइल्कै। तब बटिदारसबके जिम्मा द्याके अपना परदेस गेलै।