29 तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “सबसे महान आग्या एह्या चियै, ‘हे इजराएलके बासिसब सुन, परमपरभु अपनासबके परमेस्वर एकेटा परमेस्वर चियै।
जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन माँ-बाबुके परेम करतै, उ हमर चेला बने नै सक्तै। तहिनङे जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन धियापुताके परेम करतै सेहो हमर चेला बनैले नै सक्तै।
अइ पिरथिबीमे तुसब ककरो पिता नै कहिहे कथिलेत तोरासबके एकेटा आत्मिक पिता छौ, जे स्वरगमे रहैछै।
तब उ कहल्कै, “तु परमपरभु आपन परमेस्वरके आपन पुरे मनसे, पुरे परानसे, पुरे सक्तीसे आ पुरे बुइधसे परेम कर तब आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।”
कथिलेत परमेस्वर एकेटा छै। उ यहुदी आ गैर-यहुदी दुनुके बिस्बास दुवारा धरमी ठहराइछै।
तैखातिर मुरुतिके चरह्याल खाइले मिलैछै कि नै मिलैछै तैके बारेमे हमसब जानैचियै कि, सन्सारके मुरती किछो नै चियै आ एक मातरे परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै छै।
मिलाप हैकेलेल दुनु पक्छ चाही महज परमेस्वर एक पक्छ मातरे छै।
हमर कहैके उदेस्य त यि चियै कि बिस्बासीसब एक दोसरके परेम करे, जे परेम सुध हिरदय, असल बिबेक आ साँचोके बिस्बाससे मातरे आबैछै।
कथिलेकी परमेस्वर एकेटा छै। परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे मिलाप कराइबला एकेटा लोक छै। उ लोक येसु खिरिस्ट चियै।
परमेस्वर एकेटा छै कैहके तु बिस्बास करैचिही। बहौत निक! महज एहेन बिस्बास त भुतोसब करैछै आ डरसे थरथर कापैछै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा, अपनासबके मुक्ती दैबला एक मातरे परमेस्वरके सब आदर, महिमा, सक्ती आ अधिकार जुगो-जुग तलिक हैतरहे। आमेन।