24 तब येसु उसबके कहल्कै, “तुसब भरममे परलचिही, कथिलेत तुसब नै त पबितर धरमसास्तर जानैचिही, नै त परमेस्वरके सक्तीके?
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब भरममे परलचिही। तुसब पबितर धरमसास्तर आ परमेस्वरके सक्तीके बारेमे नै जानैचिही।
तब येसु उसबके ताकैत कहल्कै, “जे काम लोकके लेल असम्भब छै महज परमेस्वरके लेल नै, कथिलेत परमेस्वरके लेल सबकुछ सम्भब छै।”
आब कहु, ओइ समयमे जहिया मरलहासब जिके उठतै त, ओकरासबमेसे उ जनी ककर घरबाली हेतै? कथिलेत उ सातो गोरासे बियाह करने छेलै।”
कथिलेत, जब उसब जिके उठतै, नै उसब बियाह करेतै, नै उसबके बियाह हेतै, महज उसब त स्वरगके स्वरगदुतसब जखा हेतै।
कथिलेत परमेस्वरके लेल कोनो काम असम्भब नै छै।”
येसु मिरतुसे जिबित भ्याके उठयै परतै, पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन उसब अखुनतक नै बुझने छेलै।
तुसब यि सोइचके धरमसास्तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्त जिबन छै, महज एह्या धरमसास्तर हमर बारेमे गबाही दैछै।
ओतेका लोकसब थेसलोनिकेके लोकसबसे खुला बिचारके लोकसब रहै। उसब परमेस्वरके सुसमाचार एकदम धियान द्याके सुनै। पावलके कहलहा बातसब मिलैछै कि नै मिलैछै कैहके उसब हरेक दिन धरमसास्तर पढ़है आ जाँचै।
पबितर धरमसास्तरमे पहिने लिखल बातसब अपनासबके सिक्छा दैकेलेल छेलै। धरमसास्तरमे भेल बातसे अपनासबके सहैबला सक्ति आ हौसला दैछै ताकी अपनासबके आसा बनल रहे।
खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके खातिर काम करैबला ओकर महान सक्ती अनुमाने करैले नै सकबिही। यि बात तोरासबके थाह हेबे कैहके हम परथना करैचियौ।
उ आपन सक्तीसे सब चिजके आपन अधिनमे लाबेसकैछै। ओकर यि सक्तीसे अपनासबके यि मैर जाइबला देहके ओकर आपन महिमाके देह जखा हैले परिबरतन कैरदेतै।