16 उसब एकटा डलर आनल्कै। तब येसु उसबके कहल्कै, “अइमे ककर चेहरा आ नाम लिखल छै?” उसब कहल्कै, “कैसरके।”
तब येसु उसबके कपटी बिचार बुइझके कहल्कै, “तुसब कथिले हमरा फसाइले चाहैचिही? हमरा एकटा डलर देखा।”
तब येसु उसबके कहल्कै, “तै खातिर जे कैसरके चियै से कैसरके दहै आ जे परमेस्वरके चियै से परमेस्वरके दहै।” यि बात सुइनके उसब आस्चरजमे परलै।
महज तैयो परमेस्वरके आपनेसे बनेल्हा जग सबदिन अटल छै। ओइ जगमे एहेन लिखल छै: “परभु आपन लोकसबके चिन्हैछै” आ “परभुके नाम लैबला सब गोरा खराब कामसे दुर रहे परतै।”
जे जित्तै, तकरा हम आपन परमेस्वरके मन्दिरके एकटा खम्हा बनाइबै आ ओतेसे उ कहियो नै बाहर निकल्तै। हम ओकरामे परमेस्वरके नाम आ हमर परमेस्वरके सहरके नाम अरथात स्वरगसे निचा आबैबला यरुसलेम लिख्बै तब ओइमे हमर आपन लया नाम सेहो लिख्बै।’