24 अहै खातिर हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब परथनामे जे माङबिही, से पाइबगेलचिही कैहके बिस्बास कर आ उ मिल जेतौ।
हम फेनो तोरासबके कहैचियौ, यदी अइ पिरथिबीमे तोरासबमेसे दुइगोरे एकसाथ एकेमन भ्याके कोनो चिज माङबिही त, उ स्वरगमे रहैबला हमर पिता तोरासबके देतौ,
तुसब बिस्बास कैरके परथनामे परमेस्वरसे जे माङबिही से तुसब पाबबिही।”
जखुन तुसब परथनाके लेल खरा हेब्ही, तब ककरो बिरुधमे तुसब कुछो छौ त ओकरा माफ कर, जै से तोहर पिता जे स्वरगमे छौ सेहो तोहर अपराध माफ कैरदेतौ।
तुसब हमर नाममे जे कुछ माङबिही, ओइसे बेटासे पिताके महिमा हेबे कैहके हम पुरा कैरदेबौ।
यदी तुसब हमरमे रहबिही आ हमर बचन तोरासबमे रहतौ त, तुसब जे माङैले चाहैचिही से माङ आ उ तोरासबके देतौ।
तैखातिर जे आन भसामे बोलैछै, तकर अरथ बताबैके बरदानके लेल उ परथना करे।
तब अपनासब जे माङबिही से सब चिज ओकरेसे पाबबिही कथिलेत अपनासब ओकर आग्या मानैचियै आ ओकरा निक लागैबला काम करैचियै।