19 सुरुज डुब्लाके बाद येसु आ ओकर चेलासब सहरसे निकैलके बाहर गेलै।
तब येसु उसबके ओहै ठाममे छोइरके सहरसे बाहर गेलै आ बेथानिया गाममे ज्याके रात रहलै।
येसु यरुसलेममे पहुचके मन्दिरमे ढुकलै। तब उ अखापखा चारुदिसन नजैर पसाइरके ताकलाके बाद साँझ परल जाइछेलै तै खातिर ओतेसे बारहो गोरे चेलासबसङे बेथानिया चैलगेलै।
येसु सबदिन मन्दिरमे सिक्छा दैछेलै आ रातके जैतुन पहारके टुप्पीमे ज्याके रात बिताबै छेलै।
जाबेतक इजोत तोरासबसङे छौ, इजोतमे बिस्बास कर तब तुसब इजोतके बेटा-बेटी हेब्ही।” यि बात कहलाकेबाद येसु ओतेसे चैलगेलै आ ओइसबसे घोसैरके रहेलाग्लै।