41 जब यि बात बाकी दसो चेलासब सुनल्कै तब उसब याकुब आ युहन्नाके खिस्येलै।
यि बात सुइनके औरो दस गोरा चेलासब उ दुइ गोराके देखके खिस्याइलै।
तब येसु ओइसबके आपनलग बोल्याके कहल्कै, “तोरौरके जानैचिही कि आनजातमे सासन करैबलासब मनमानी करैछै आ पैध लोकसब ओकरासबके उपर अधिकार जमाबैछै।
तब चेलासबमे सबसे बरका के हेब्ही कैहके ओइसबके बिचमे बताबती हेबे लाग्लै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “दुनिया भैरके रजासब आपन लोकसबके उपर राज करैछै आ ओइसबके उपर अधिकार चलाइबलासब आपनके उपकारी कहाइछै।
एक-दोसरके आपने भाइ-भैया जखा परेम कर। अपनासे बेसी दोसरके आदर कर।
आपन मातरे भलाइ नै खोज आ अहङकारमे कुछ नै कर, महज नमर्तामे एक दोसरके आपनसे बरका ठान।
कि तुसब यि सम्झैचिही कि, पबितर धरमसास्तर बेरथमे एहेन कहैछै, “परमेस्वर अपनासबमे राइखदेने छै तै आत्माके लेल उ एकदमसे डाह करैछै?”