38 महज येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब कथी माङैचिही से तुसब नै जानैचिही। जे दुखके बाटी हम पियैचियै, से तुसब पिए सकबिही? या जे बप्तिस्मा हम लेनेचियै, उ बप्तिस्मा तुसब लेबे सकबिही?”
उ कन्हिक अगा बैढके भुइयामे मुरी गोइतके अनङ कैहके परथना करेलाग्लै, “हे हमर पिता, यदी भ्यासकैछै त यि दुखके बाटी हमरासे हटा दिय, महज तैयो हमर इछा बमौजी नै, बल्की अहिके इछा बमौजी हेबे।”
आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।
तब उ कहल्कै, “हे, पिता अहाँके लेल सब चिज सम्भब छै। यि दुखके बाटी हमरसे हटा दिय। महज हमर इक्छा करल जखा नै, अहाँके इक्छा करल जखा हेबे।”
एकटा दुखके बप्तिस्मा हमरा लैले परतै। जाबेतक हम उ बप्तिस्मा नै लेबै ताबेतक हमरा चैन नै हेतै।
“हे हमर पिता, अहाँ इक्छा करैचियै त, यि दुखके बाटी हमर लगसे हटा दिय। हमर इक्छा नै, महज अहैके इक्छा पुरा हेबे।”
महज येसु पतरुसके कहल्कै, “आपन तलबार मियानमे राख। पिता हमरा देल यि दुखके बाटीसे कि हम नै पिबै?”
ओहिनङे पबितर आत्मा अपनासबके बिस्बासमे कमजोर हैतकाल मदत करैछै। कनङ परथना करैछै कैहके सब्दमे बेक्त करैले नै सैकके कुहरैत बखत पबितर आत्मा अपनासबके लेल परथना कैरदैछै।
तुसब माङैचिही महज नै पाबैचिही, कथिलेकी आपन अभिलासा पुरा करैके लेल बेठिक हिसाबसे माङैचिही।