आ जे मानबके बेटाके बिरोधमे नै निक बोल्तै त ओकर पाप छमा हेतै, महज जे पबितर आत्माके बिरोधमे नै निक बोल्तै त, ओकरा नै अइ युगमे नै आबैबला युगमे छमा हेतै।”
उ लोक धैनके चियै, जे आपत-बिपतमे अस्थिर रहैछै, कथिलेकी जाँचके सामना करलाके बाद उ जिबनके मुकुट पाबतै, जे परमेस्वरके परेम करैबलासबके परमेस्वर दैले परतिग्या करने छै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।