हे भाइ-बहिनसब, परमेस्वर तोरासबके बोलाबैत खिना तुसब केहेन छेल्ही? तैमे बिचार कर। अइ सन्सारके दिरिस्टीमे तोरासबमेसे बहुतो लोक बुधिमान, बहुतो लोक सक्तिसाली या बहुतो लोक खानदानी नै छेल्ही।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।