18 येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा कथिले असल गुरु कहैचिही? परमेस्वर बाहेक कोइ नै असल छै।
येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “असल कथी चियै, से तु हमरा कथिले पुछैचिही? असल त एकटा मातरे छै। यदी तु अनन्त जिबन पाबैले चाहैचिही त, परमेस्वरके आग्यासब पालन कर।”
जब येसु रस्तामे जाइछेलै तब एकटा लोक दौरके ओकर अगा एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे असल गुरु जी, अनन्त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?”
तु त आग्यासब जान्बे करैचिही- हतिया नै कर, बेबिचार नै कर, चोरी नै कर, झुठा साक्छी नै दहै आ आपन माँ-बाबुके आदर कर।”
येसु ओकरा कहल्कै, “तु हमरा कथिले असल गुरु कहैचिही? परमेस्वरके अलाबा कोइ नै असल छै।
सबलोक परमेस्वरके रस्तासे भटैकके दुर चैलगेलछै, सबलोक काम नै लागैबला भेलछै। भलाइ करेबला कोइ नै छै, एकोटा नै छै।”
सब असल आ सब सिध दान स्वरगसे आबैछै। यि बरदान इजोतके पितासे आबैछै। उ छाह जखा कहियो नै बदलैछै।
परमेस्वर अपनासबके परेम करैछै कैहके हमसब जानैचियै आ ओकर परेममे पुरा बिस्बास छै। परमेस्वर परेम चियै। जे परेममे रहैछै उ परमेस्वरमे रहैछै आ परमेस्वर ओकरमे बास करैछै।
परेम नै करैबला परमेस्वरके नै चिन्हैछै कथिलेत परमेस्वर परेम चियै।