8 हम तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा दैचियौ, महज उ तोरासबके पबितर आत्मासे बप्तिस्मा देतौ।”
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
युहन्ना लोकसबके एहेन कैहके परचार करैछेलै, “जे हमरसे पछा एतौ उ हमरसे बरका छै आ हम निहुकके ओकर जुताके फितो तक खोलैके जोकर के नै चियै।
जब युहन्ना परचार कैर रहल छेलै तहै बखत येसु गालिलके नासरतसे एलै आ युहन्नासे उ यरदन लदीमे बप्तिस्मा लेल्कै।
तब युहन्ना ओकरासबके जबाब देल्कै, “हम त तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा दैचियौ, महज एक गोरा जे आइबरहल्छौ उ हमरोसे बरका छै, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकरके नै चियौ। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
युहन्ना जबाब देल्कै, “हम त पानीसे मातरे बप्तिस्मा दैचियै। महज तोरासबके बिचमे एक गोरा ठार छौ, तकरा तुसब नै चिन्हैचिही।
साँचोके उ के चियै से हम नै चिन्है छेलियै, महज जे हमरा पानीसे बप्तिस्मा दैले पठाइल्कै ओह्या हमरा कहल्कै, जकर उपरमे पबितर आत्मा उतैरके बैठल देखबिही ओह्या पबितर आत्मासे बप्तिस्मा दैबलाहेतौ।
युहन्ना त पानीसे बप्तिस्मा देल्कै, महज आबके कुछ दिनमे तुसब पबितर आत्मासे बप्तिस्मा हेब्ही।”
परमेस्वर आपन पबितर आत्मा गैर-यहुदीके लोकसब उपर भरैत देखके पतरुस सङे एल्हा यहुदी बिस्बासीसब छक्क परलै।
परमेस्वर कहैछै, ‘अन्तके दिनमे हमसब लोकसबके आपन आत्मा परसस्त कैरके देबै, तोहर बेटासब आ बेटीसब अगमबानी बोल्तौ आ तोरौरके जबानसब दरसन देख्तै आ बुढवासब सपना देख्तै।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
हमसब चाहे यहुदी हेबे, चाहे गिरिक, चाहे दास हेबे, चाहे स्वतन्तर, सबकोइ एके पबितर आत्मासे बप्तिस्मा पाबनेचियै आ एके देह भेलचियै। तब अपनासबके एके पबितर आत्मा देनेछै।