4 तहिनङे बप्तिस्मा दैबला युहन्ना लोकसबके बप्तिस्मा दैत उजार जगहमे देखा परलै। उ एहेन कैहके परचार करल्कै, “तुसब पस्चाताप कर आ बप्तिस्मा ले आ परमेस्वर तोरासबके पाप छमा कैरदेतौ।”
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।
यहुदियाके पुरे इलाका आ यरुसलेम सहरके सबलोक निकैलके युहन्ना लग एलै आ आपन-आपन पाप माइनके उसब यरदन लदीमे बप्तिस्मा लेल्कै।
‘कनङके पापसे छमा पाइबके मुक्ती पाबबिही’ से बात तु ओकर लोकसबके कहबिही।
युहन्ना सेहो सालीमके कात एनोनमे बप्तिस्मा दैत रहै कथिलेकी ओते बहौत पानी छेलै। लोकसब ओते आबैछेलै आ बप्तिस्मा लैछेलै।
अहाँसबके थाहे हेत कि युहन्नासे बप्तिस्माके परचार करलाके बाद, गालिलसे सुरु कैरके सरा यहुदिया भैर कथी कथी घटना भेलै।
तै खातिर आब कथिले ढिला-सुस्ती करैचिही? उठ आ बप्तिस्मा ले आ येसुके नाम ल्याके आपन पापसे सुध हो।’