39 तब येसु पुरे गालिल इलाकामे घुम्लै आ सभाघरसबमे सिक्छा दैत आ लोकसबसे भुतसब निकालैत गेलै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।
तब उसब कफरनहुम सहरमे गेलै। पबितर बिसराम दिनमे येसु यहुदी सभाघरमे ज्याके सिक्छा दैले लाग्लै।
ओहै बखत सभाघरमे एकटा भुत लागल लोक छेलै। उ जोरसे चिच्याके कहल्कै,
यि बात सुइनके येसु उसबके कहल्कै, “या, अपनासब मिलके आसपासके गामसबमे चल। ओहो ठामसबमे हमरा सुसमाचार सुनाइले परतै, कथिलेत अहै कामके लेल हम एलचियै।”
बादमे फेनो येसु सभाघरमे ढुक्लै। ओते सुखलहा हाथ भेल एकटा लोक छेलै।
ओइसबमे कन्हिकरो बिस्बास नै देखके येसु छक्के परलै। तब उ गाम-गाममे सिक्छा दैत गेलै।
जब उ घर घुइमके गेलै तब बेटीके चौकीमे सुतल देखल्कै आ ओकरसे भुत आत्मा निकैल गेलछेलै।
बहुत लोकसबके देहसे भुतसब चिच्याइते ऐहेन कैहके निकल्लै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै!” महज येसु खिस्याके भुतसबके बोले नै देल्कै कथिलेत मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके चिन्हैछेलै।