38 यि बात सुइनके येसु उसबके कहल्कै, “या, अपनासब मिलके आसपासके गामसबमे चल। ओहो ठामसबमे हमरा सुसमाचार सुनाइले परतै, कथिलेत अहै कामके लेल हम एलचियै।”
येसु भेटलाकेबाद उसब कहल्कै, “परभु अहाँके सबकोइ खोइजरहल छै!”
तब येसु पुरे गालिल इलाकामे घुम्लै आ सभाघरसबमे सिक्छा दैत आ लोकसबसे भुतसब निकालैत गेलै।
येसु जबाफ देल्कै, “तुसब हमरा कथिले खोजैचिही? हम आपन पिताके घरमे रहे परतै से बात तोरासबके थाह नै छेलौ?”
महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “हमरा परमेस्वरके राजके सुसमाचार औरो ठामसबमे सुनाइले परतै कथिलेत येहा कामके लेल परमेस्वर हमरा पठाइने छै।”
हम पितालगसे सन्सारमे एलचियै, आब फेनो सन्सार छोइरके पितालग घुइमके ज्यारहल चियै।”
अहाँ जे काम करैले हमरा जिमा देनेछेलियै, से काम पुरा कैरके पिरथिबीमे हम अहाँके महिमा करनेचियै।
कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
हमरा पठाइबलाके कामसब अपनासबके दिन रहिते करे परतौ, कथिलेत रातके अन्हारमे कोइ नै काम करे सकैछै।