37 येसु भेटलाकेबाद उसब कहल्कै, “परभु अहाँके सबकोइ खोइजरहल छै!”
तब सिमोन आ ओकर सङिसब मिलके येसुके खोजैले गेलै।
यि बात सुइनके येसु उसबके कहल्कै, “या, अपनासब मिलके आसपासके गामसबमे चल। ओहो ठामसबमे हमरा सुसमाचार सुनाइले परतै, कथिलेत अहै कामके लेल हम एलचियै।”
यहुदियाके पुरे इलाका आ यरुसलेम सहरके सबलोक निकैलके युहन्ना लग एलै आ आपन-आपन पाप माइनके उसब यरदन लदीमे बप्तिस्मा लेल्कै।
यदि यि लोकके अहिनङे छोइरदेबै त सबलोक ओकरे बिस्बास करतौ। तब रोमीसब आइबके अपनासबके मन्दिर आ देस दुनुके बिनास कैरदेतौ।”
ओहैसे फरिसीसब एक-दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “आब तुसब कुछो करे नै सकैचिही। देख, सारा दुनिया ओकर पछा लाइग गेलछै!”
उसब युहन्ना लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, यरदन लदीके ओइपार जे अहाँसङे रहै, जकर बारेमे अहाँ गबाही देने रहियै, से बप्तिस्मा द्यारहलछै आ सब गोरा ओकरे लग जाइछै।”