35 भिन्सरे येसु उइठके सुनसान जगहमे ज्याके परथना करल्कै।
जब येसु यि बात सुनल्कै तब एकटा नाहमे चहैरके चुप-चाप सुन-सान ठाममे चैलगेलै। महज येसु जाइले लागल छै सुइनके बहुतो लोकसब सहर-सहरसे पैदले चैलके ओकर पछा गेलै।
लोकसबके बिदाह करलाके बाद उ सुनसान जगहमे परथना करैले पहाड़मे गेलै। जब साँझ परलै तब उ ओते असगरे छेलै।
तब सिमोन आ ओकर सङिसब मिलके येसुके खोजैले गेलै।
महज येसु भिरसे अलग भ्याके परथना करैले सुनसान जगहमे जाइ छेलै।
एक दिन येसु पहार दिसन परथना करैले गेलै आ परमेस्वरसङे परथनामे रातभर बिताइल्कै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “हमर खाइबला चिज यि चियै, जे हम आपन पठाबैबलाके इक्छा बमोजिम करनाइ आ ओकर काम पुरा करनाइ चियै।
लोकसब आइबके जबरदस्ती ओकरा रजा बनाबैले ल्याजेतै से जाइनके येसु फेनो असगरे पहार दिसन चैलगेलै।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
तोरासबमे एहेन मन हेबे, जे खिरिस्ट येसुमे छेलै।
येसु अइ सन्सारमे रहैतकाल मिरतुसे बचाबेबला परमेस्वरसङे जोरसे कानैत बिन्ती आ परथना करल्कै। ओकर नमरता आ भक्तीके कारन ओकर परथना परमेस्वर सुनल्कै।