3 उजार जगहमे एकटा लोक जोरसे कहैछै, “परभु आबैबला रस्ता दुरुस कर, उ चलैबला रस्तासब सोझ कर!”
ओहै बखत बप्तिस्मा दैबला युहन्ना यहुदियाके उजार जगहमे एलै आ एहेन कहैत परचार करे लाग्लै,
युहन्ना त ओह्या लोक चियै, जकर बिसयमे यसैया अगमबक्ता एहेन कहने छेलै: उजार जगहमे एक गोरा जोरसे हल्ला कैरके कैहरहल छै, ‘परभु आबैबला रस्ता दुरुस कर, उ चलैबला रस्तासब सोझ कर।’”
ओइ बखतके परधान पुजारीसबमे हन्नास आ कैयाफा छेलै। ओहै बखत उजार जगहमे परमेस्वरके बचन जकरियाके बेटा युहन्ना लग एलै।
युहन्ना ओकरे बारेमे गबाही दैत जोरसे कहल्कै, “हमरसे पछा आबैबला हमरसे बहौत महान छै, कथिलेत उ हम जलमैसे पैहनैयेसे छेलै। यि ओह्या लोक चियै, जकर बारेमे सब बात हम कहने छेलियौ।”