20 येसु ओहोसबके तखुन्ते बोलाइल्कै आ उ सब आपन बाबु जब्दियाके आ ओकर कामदारकेसङे नाहेमे छोइरके ओकर पछा लाग्लै।
जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन माँ-बाबुके परेम करतै, उ हमर चेला बने नै सक्तै। तहिनङे जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन धियापुताके परेम करतै सेहो हमर चेला बनैले नै सक्तै।
येसु कन्हिक दुर गेलाके बाद जब्दियाके बेटा याकुब आ ओकर भाइ युहन्नाके देखल्कै। उसब नाहमे बैठके जालसब तुनैत रहै।
तब उसब कफरनहुम सहरमे गेलै। पबितर बिसराम दिनमे येसु यहुदी सभाघरमे ज्याके सिक्छा दैले लाग्लै।
येसु कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमरा आ सुसमाचारके खातिर आपन घरदुवार, माँ-बाबु, बेटा-बेटी, भाइ-बहिन आ जगहा-जमिन छोरतै,
“हमर पछा आबैबला आपन माँ-बाबु, घरबाली, बेटा-बेटी, भैया-भाइ, दिदी-बहिनसबके आ आपन परानके हमरसे बेसी परेम करैछै त, उ हमर चेला नै बने सक्तै।
जब उसब नाहसबके कातमे आनल्कै तब सबचिज छोइरके येसुके पछा लाग्लै।
अहैलेल आबसे हमसब ककरो लोकके दिरिस्टीसे नै देखब। हमसब खिरिस्टके एक समय लोकके दिरिस्टीसे देखै छेलियै महज आबसे ओकरा हमसब ओनङके नै देख्बै।