17 येसु उसबके कहल्कै, “हमर पछा लाग, आबसे हम तोरासबके माछ नै महज लोकसबके मलाह बनेबौ।”
येसु गालिल तालके कातमे चलै बखत सिमोन आ ओकर भैया अन्दरियासके तालमे जाल फेकैत देखल्कै। कथिलेत उसब मलाह छेलै।
तब उसब तखुन्ते आपन जालसब छोइरके येसुके पछा लाग्लै।
सिमोन सङे-सङे सझियारमे काम करैबला जब्दियाके बेटासब याकुब आ युहन्ना ओहो छक्के परलै। येसु सिमोनके कहल्कै, “नै डेरा, आबसे तु माछ नै महज लोकसबके पकैरके हमरलग आनबिही।”