20 तहै बखत बारह बरिससे खुन खसैबाला रोग लागल एकटा जनी पछासे आइबके ओकर बस्तरके खुँट छुवल्कै।
उसब येसुके बस्तरके एकटा कोनो खुट छुबे पाबी कैहके ओकरा बिन्ती करल्कै आ जे-जे रोगी-बिमारसब येसुके बस्तर छुबल्कै उसब निक भेलै।
जे गाम, सहर या बस्तीसबमे येसु गेलै ओते-ओते लोकसब रोगी-बिमारीसबके हाट-बजारमे राख देल्कै। येसुके बस्तरके एक खुट मातर छुबैले उसब ओकरा बिन्ती करल्कै आ जे-जे ओकर बस्तर छुबल्कै से सबकोइ निक भेलै।
तकरबाद येसु आ ओकर चेलासब बेथसेदामे एलै। ओते लोकसब एकटा आन्हर लोकके येसु लग आनल्कै आ अकरा छुइबके निक कैरदिय कैहके ओकरसे बिन्ती करल्कै।
सबकाम उ सब देखाबैके लेल मातरे करैछै। उसब आपन हाथमे आ कपारमे बेबस्थामे लिखल बातसब जन्तरमे राइखके बान्हैछै आ आपन बस्तरमे लाम-लाम फुदनासब लगाके पिन्हैछै।
परेरितसबके अच्चमके काम देखके लोकसब बिमारसबके रस्तामे पटिया आ खटियामे राखल्कै आ पतरुस ओतेसे आबैतखिना ओकर छाह रोगी-बिमारीसब उपर परे आ ठिक हेबे कैहके सुताके राखने रहैत रहै।
हैते-हैते लोकसब रुमाल या गम्छा ओकर देहमे छुब्याँके बिमारीसब लग लजाइछेलै आ उ बिमारीसब निक हैछेलै आ भुतो आत्मासब निकैलके जाइछेलै।
येसु उठलै आ आपन चेलासबसङे ओकर पछा पछा गेलै।