34 यि बात सुइनके पुरे सहरके लोकसब येसुके भेटैले एलै आ ओकरा देखके अइ इलाकासे चैलजाउ कैहके उसब बिन्ती करल्कै।
उसब चिच्याके कहल्कै, “हे परमेस्वरके बेटा, हमरासबसे अहाँके कोन काम? कि समयसे पहिने अहाँ हमरासबके सताबैले एलचियै?”
तब यि देखके येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत गोर लाइगके सिमोन पतरुस कहल्कै, “हे परभु हमर लगसे दुर चैलजो कथिलेत हम पापी चियै।”
येसुके देखके उ चिच्याके ओकर अगा ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे सबसे बरका परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँ हमरसे कथी चाहैचियै? हम अहाँके गोर लागैची, हमरा नै सताबु।”
तब उसब आइबके पावल आ सिलाससे माफी माङल्कै। ओइसबके बाहर लज्याके यि सहर छोइरके चैल जो कैहके अनुरोध करल्कै।