23 तकरबाद येसु नाहमे चहरलै आ चेलोसब ओकर पछा-पछा गेलै।
तब अचानक तालमे बरका अन्हर-बिहाइर चल्लै आ पानीके ढेहसे नाह डुबेलाग्लै। महज येसु सुतल छेलै।
तकरबाद येसु नाहमे चहैरके तालके दोसरकात उ आपने सहरमे घुइमके एलै।
ओहै दिन साँझ परलाके बाद येसु चेलासबके कहल्कै, “ले आब अपनासब तालके ओइपार चल।”
तब येसु युहन्नाके चेलासबके कहल्कै, “जो, तुसब जे जे देखलिही आ सुनलिही, ज्याके युहन्नाके कैह दैहिए- अन्हरासब देखैछै, नेङरासब लरैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब निक हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जि जाइछै, दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।