जब येसु यि बातसब सुनल्कै तब आस्चरजमे परलै आ आपन पछा लागैबला लोकसबके कहल्कै, “साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, एहेन बिस्बास करैबला लोक त हम इजराएली लोकसबमे नै भेटेलियै।
बरनाबास आ पावल एन्टिओखियामे पुग्लै तब ओते मन्डलीके सब बिस्बासीके बोलाइल्कै। तब ओइसबके सुनाइल्कै जे परमेस्वर ओकरासबसङे केहन-केहन काम करल्कै आ कनङके उ गैर-यहुदीसबके खातिर बिस्बासके केबार खोइलदेल्कै।
कि अधरमी लोकसब परमेस्वरके राजमे ढुकैले नै सक्तै कैहके तोरासबके थाह नै छौ? अइ बातके गम्भिर रुपसे ले आ तुसब आपनेके धोखा नै दहै, कथिलेत अनैतिक काम करैबला, मुरतिपुजा करैबला, बेबिचार करैबला, समलिङगिसब, पुरुखगामीसब,
तैखातिर अते गिरिक या यहुदी, देहमे खतना करल आ नै करल, असभ्य, असिक्छित, दास या स्वतन्तर ककरो कोनो भेदभाव नै छै महज खिरिस्टे सब चिज चियै आ सबमे बास करैछै।