10 जब येसु यि बातसब सुनल्कै तब आस्चरजमे परलै आ आपन पछा लागैबला लोकसबके कहल्कै, “साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, एहेन बिस्बास करैबला लोक त हम इजराएली लोकसबमे नै भेटेलियै।
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “ए जनि, तोहर बिस्बास बहौत बरका छौ। जैहनङ तु चाहैचिही तैहनङ तोहर लेल हेबे।” तखुन्ते ओकर बेटी निक भ्यागेलै।
हम तोरासबके कहैचियौ, बहुतो लोकसब पुरब आ पछिमसे एतौ आ अबराहम, इसहाक आ याकुबसङे स्वरगके राजमे भोजन खाइले बैठतै।
कथिलेत हम्हु बरका हाकिमसबके अधिनमे बैठल लोक चियै, या हमरो अधिनमे सिपाहीसब छै। हम एकटाके ‘जो’ कहैचियै त, उ जाइछै, दोसरके ‘या’ कहैचियै त, उ आबैछै। तहिनङे हम आपन नोकरके ‘यि कर’ कहैचियै त, उ ओहिनङे करैछै।”
ओइसबमे कन्हिकरो बिस्बास नै देखके येसु छक्के परलै। तब उ गाम-गाममे सिक्छा दैत गेलै।
येसु लोकसबके एहेन बिस्बास देखके कहल्कै, “हे पिरिय, तोहर पाप छमा भेलछौ।”
महज येसु जनिजाइतके कहल्कै, “तोहर बिस्बाससे तोरा बचाइनेछौ, सान्तीसाथ जो।”
यि बातसब सुइनके येसु आस्चरजमे परलै आ घुइमके आपन पछा लागल भिरके कहल्कै, “हम तोरासबके कहैचियौ, एहेन बिस्बास करैबला लोक त पुरे इजराएलमे नै देखलियै!”
उसब आस्चरजमे परलै आ अचम माइनके कहेलाग्लै, “कि यि बोलैबलासब गालिलीसब नै चियै त?