13 “सकेत केबारसे भितर ढुक, कथिलेत बिनासमे पुगाइबला केबार नमहर आ रस्ता चौरा हैछै आ ओइमे ढुकैबला बहुत हैछै।
“तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब स्वरगके राजके केबार खोलैबला कुजी त लेल्ही, महज नै अपने ढुकलिही नै दोसरके ढुकैले देल्ही।
“तकरबाद उ आपन बमा कता भेल्हासबके कहतै, हे परमेस्वरसे सराप पाबलाहा लोकसब। हमरसे दुर चैल जो! सैतान आ ओकर दुतसबके लेल तैयार करल कहियो नै मुझाइबला आइगमे चैल जो।
तब उसब दन्डके भागिदार हेतै, महज धरमीसब अनन्त जिबन पाबतै।”
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
तुसब आपन आपन पाप माइनके पस्चाताप करनेचिही त, असल बेबहार कैरके देखा।
जिबनमे पुगाइबला केबार सकेत हैछै आ रस्ता कठिन हैछै आ उ रस्ता पाबैबला थोरबेक हैछै।
तै खातिर तोरासबमेसे जे हमर लेल आपनसङे भेल्हा सबचिज नै छोरतै त, हमर चेला बने नै सक्तै।”
तब उ दुइटा लोक येसुके छोइरके ज्याबखत पतरुस ओकरा कहल्कै, “गुरु जी, हमरासबके अतै रहैके लेल असल छै। हमसब तिनटा पाल बनाएब, एकटा अहाँके लेल, एकटा मोसाके लेल आ एकटा एलियाके लेल।” महज ओकरा आपने बोलल्हा बात थाह नै छेलै।
ढुकैबला केबार हम्ही चियै, जे कोइ हमरबाटे ढुकतै से कोइ बाच्तै। उ भितर-बाहर करतै आ घास हैबला ठाममे चरैले पाबतै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
तहिनङे लोकसबसङे कनङ बेबहार करबै कहैबला बात त परमेस्वरके आपन इक्छाके बात चियै। आपन रिस आ सक्ती देखाइके ओकर आपन इक्छाके बात हैतोपरभी, उ नासके लेल तैयार करल लोकसबके सङे एकदम धिरज कैरके रहलै।
सैतान, जे अइ सन्सारके देबता चियै से महिमीत सुसमाचारके इजोतके नै देखे कैहके खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बुझैबला सक्तीके आन्हर बन्यादेनेछै।
ओकरासबसे निकैलके या आ ओइसबसे अलग रह! कोनो असुध चिज नै छु, तब हम तोरासबके सुइकार करबौ कैहके परमपरभु कहैछै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
बिनास ओइसबके अन्त चियै, पेट ओइसबके देबता चियै, लाज मानैबला बातसबमे उसब घमन्ड करैछै। ओइसबके मन सन्सारिक बातसबमे मातरे लागल रहैछै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ पुरे सन्सार दुस्ट सैतानेके बन्धनमे छै कैहके अपनासब जानैचियै।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।
मारलगेल थुमाके जिबनके किताबमे सन्सारके सिरिस्टी हैसे पहिने नाम लिखल लोकसब बाहेक पिरथिबीमे रहैबला सबकोइ ओइ जानबरके पुजा करतै।
जकर-जकर नाम जिबनके किताबमे लिखल नै भेटलै, ओकरासबके आइगके भठिमे फेकदेल्कै।
आबसे जाती-जातीके लोकसबके नै ठगे कैहके स्वरगदुत ओकरा नरकमे फेकदेल्कै आ बन कैरके मोहर लग्यादेल्कै। एक हजार बरिस बितलाकेबाद कुछ देरके लेल खोइलदेतै।